गुरुवार, 3 नवंबर 2016

मैथिली रचना - २४

आस'क टेमी
*************

बीत गेल-
ईहो सुकराती।
पछिला 
किछु बरख सं 
लाधल रहैछ गुजगुज अन्हरिया-
अनिश्चितता'क।
कखनहुं
बहय लगैछ अन्हर-बिहाड़ि-
घृणा आ अवसाद'क।
जे 
सरिपहुं लगाबैछ
अप्पन समुच्चा ज़ोर
मिझा देबा'क लेल;
पुरखा सं जोगाओल/जराओल-
नेह'क दीबा-बाति कें।
मोदा
कतबहु बरजोर
होमय
ई घोर अन्हरिया राति
किछु टेमी आस'क
तैयो जरैत अछि-
ता'धरि;
जा'धरि नहि होइछ-
एकटा न'ब बिहान
आ कि
नहि होइछ उग्रास-
प्रखर सुरुज'क;
न'ब नेहकिरिन संग।

- प्रणव नार्मदेय 
०२ नवम्बर, २०१६.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें